Monday, 2 April 2018

“इनर्वा घुमेबौ झुमका घुमेबौ” नामक गित युट्युब मार्फत सार्वजनिक(भिडियो सहित )

शिवम मिश्र प्रशान्त / विराटनगर
मैथिली गित संगीत के क्षेत्रमे क्रियाशिल भ के लागल मिथलाक गायक मनोज भोले यादव अपन नब एल्वम “प्रेमक सागर” मे स एकटा गितक भिडियो समाजिक संजाल युट्युब मार्फत सार्वजनिक कएने अछि / एल्वम मे ८ गोट गित रहलो पर अखण धरि मात्र एकटा गित के भिडियो सार्वजनिक भेल अछि /
“इनर्वा घुमेबौ झुमका घुमेबौ” नामक गित युट्युब मार्फत सार्वजनिक कएने अछि / अहि गित मे अवाज गायक मनोज भोले केर रहल अछि त गित के लेखन सरोज मण्डल सुन्सरिया के रहल अछि तहिना सैलेन्द्र बिश्वकर्मा केर संगीत रहल अछि /अहि भिडियो के निर्देशन कार्तिक राजवंशी कएने अछि / अहि गितक भिडियो मे अभय मेहता आ पिंकी के मुख्य रोल रहल अछि /

Labels: